गजल
अखनो अहीं के आस में जीब रहल छी हम
विरह के जहर आब पीब रहल छी हम
बिसरला के पछातियो मोन पड़ेति होयत
मोन पारु कि कतेक करीब रहल छी हम
सबकिछु होयतो किछुओ नहिं अछि हमरा
अहाँ के बाद एतेक गरीब रहल छी हम
कतहु रही खुश रही और हमरा की चाही
साँस चलेति अछि और जीब रहल छी हम
कियो नहिं पतियेते और अहुँ नहिं मानब
कोना एक दोसर के नसीब रहल छी हम
---> रवि.
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें