सोमवार, 6 जनवरी 2014

Maithili Ghazal : - अहाँ बाजू ने बाजू हम एतबे बुझै छी


अहाँ बाजू ने बाजू हम एतबे बुझै छी

 हम अहाँकेँ अहाँ हमर छी

 अछि हमरे पवन जाहिमे वास अहाँकेँ

 ओ गीत हमरे जाहिमे भास अहाँकेँ

 हम सब ठाम भेटब जे बाट धऽ

 आबू देब प्रेमक परिक्षा अहाँ 

सोचि राखू अहाँ बाजू ने बाजू हम एतबे बुझै छी 

हम अहाँकेँ अहाँ हमर छी 

कोनो नव गप नै जँ पत्र नै लिखब 

मुदा नैनक आखर मेटा नै सकब 

अहाँ कतबो नुकाउ आएब हम सपनामे

 जहिना आबै छी अहाँ हमर सपनामे

 अहाँ बाजू ने बाजू हम एतबे बुझै छी

 हम अहाँकेँ अहाँ हमर छी

---> रवि.

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

The Most Shared Post

ravi1057 : tumse bat krna Acha lgta he

Jab kuch acha nahi lag raha ho Tab bhi tumse bat krna Acha lgta he  ❤️😊 #ravi1057 #RaviShilpi #15August #ravi #रवि #रविशंकर #Ravishan...